संसद अबरोधके दलित आयोग प्रगति प्रतिबेदन पेस


न्युजडेस्क/जनकपुरधाम, असोज १९
प्रतिनिधि सभाके आईके बैठक में प्रमुख प्रतिपक्षी दलके विरोधके बीच “राष्ट्रिय दलित आयोगके वार्षिक प्रगति प्रतिवेदन, २०७६÷७७” पेश भेल हय ।

बैठक में प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवाके तरफसे कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिला मन्त्री ज्ञानेन्द्र बहादुर कार्की “राष्ट्रिय दलित आयोगके वार्षिक प्रगति प्रतिवेदन, पेश कयले हथिन ।

बैठक शुरु होयते मातर रोष्टम अगाडी पहुँचके प्रमुख प्रतिपक्ष दलके सांसद लोगसब नारावाजी कके सभा अवरुद्ध कयलाके बाद सभामुख अग्निप्रसाद सापकोटा संसदके विधि प्रक्रिया पालना करइत नियमित प्रक्रिया में प्रवेश कके अपन धारणा राखेला प्रतिपक्षी दलके सांसद लोगसबके आग्रह कयलन ।

बैठक नियमित रुप में अवरुद्ध भेलासे संसदप्रति आम लोगके वितिृष्ण होयवाला बातपर सवहे के सचेत बने ओरी संसदके ध्यानाकर्षण करबैत सभामुख सापकोटा बैठक सुचारु करेला सहयोग करे लेल सांसद लोगसबके बेर-बेर आग्रह कयले रहथिन ।

प्रतिनधिसभाके दोसर बैठक आसिन २२ गते शुकरदिन दुपहर १ बजे बैठत ।

प्रतिक्रिया

धेरै पढिएको

ताजा समाचार